ग़जल- गलती (सुभाष चन्द्र)

गलती

हम ओकरा देखि नहिं सकल,
नहिं जानि केहेन चेहरा छल,
दर्दक चिडय जेखन आयल,
चारुकात अन्हरिया छल,
हम जेखन मुस्कियैत छलहुँ,
आँखि सँ बुन टपकैत छल,
हमर किस्मत पर दुर्दिन’क छाया छल,
इ तs हमर गलती छल,
परछाई पर भरोसा कएल,
परछाई के कोन दोख,
ओ तs शब्दविहीन छल,
डिबिया’क टेमी नागिन जेकाँ,
अन्हार देबाल पर बुझैत छल,
एकसरि में बीन सँ बेसी सुनसान’क घोर छल,
जेकर नाव टकरायल राति भरि तूफान सs,
ओहि बेचारा के देह कछेर पर ठहरल छल!!
-------------------------------------------------------------------------------
सजा

यदि नहिं दैतहुँ सजा हमरा,
त उमर भरि रहि जायत टीस हमरा,
सबहक नजरि रहत हमरे दिस,
एना नहिं धीरे स बजाउ हमरा,
की बतबैत अछि इ लकीर सभ,
मुठ्ठी खोलि के देखू एकरा,
टिमटिमैत भोरक तरेगन,
दs रहल अछि आस हमरा,
हमरा जैबाक नहिं अछि मंजिल पर,
कियैक शोर पाडैत अछि रस्ता हमरा,
हम सितमगर, फरेबी, झूठा छी,
की की नहिं कहलक ओ हमरा,
हमरा बिर्रो बनि के जाय दिअ,
कियो शोर पारि रहल अछि हमरा।

- सुभाष चन्द्र, नई दिल्ली, सम्पर्क:- +91-98718 46705, ई-मेल- subhashinmedia@gmail.com

कथा....भैरवी

कथा....भैरवी विवाहक पाँचम बरखक बाद अनायास भैरवीसँ चन्द्रेश्वर बाबाक मन्दिरमे भेट भेल छल। नरक निवारण चर्तुदशीक व्रत केने रही। मायक जिदपर...